मैथिली साहित्य

इस ग्रुप मे मैथिली साहित्य लिखा जा सकता है |

चरिपतिया

               (१)
चाहे आहाँ रहु दिल्ली आ मुम्बई,
वा रहु देश-विदेशक कोनो कोण में,
मैथिल भेटिते मैथिली बाजू
टन द' मिठगर बोल में ।

               (२)
अमावश्या राति सन मुँह हुनक
द्वितिया चान सन दाँत
बाजब यदि सुनि लेलहुँ हुनकर
त' करिते रहि जायब बात ।

               (३)

सन - सन बहय बसात
उड़िया रहल अछि, चुनरी हुनकर
छौड़ा सब भेल बताह
हुनका लेखे धनो धन सन ।

               (४)
ककरा करू फज्झति
ककरा सँ कलह बेसाहु
घुमि रहल अछि काल चक्र
एहि मूढ़ के , किछु दिन आर बिसारु ।
               (५)
करू ओकरा कात भाई
बड्ड चलबैत अछि थोंथि
भनें लिखलक ओ
नाम सँ त ' अछि हमरे पोथी ।

संजय झा "नागदह"

"मौलिक आ अप्रकाशित"